ॐ
रक्षा बंधन विशेषांक
♧♧♧♧♧♧♧♧♧♧♧♧♧♧♧
सब भाई बंधु के सादर समर्पित
●●●●●●●●●●●●●●●●●●●●●●●●
सगर विश्व दलमल्लित भय गेल
सगर नगर अनघोल रे
हम छी बहिनी परम दुलारु
भाई हमर अनमोल रे।
बहिनिक आँखिक भाई छै तारा
बहिनिक मान निबाह करय
संकट मे आयल बहीन जौं
संकटमोचन भाई बनय
दुःख मे सुख मे ठाढ रहय जे
भाई स्नेह नहि मोल रे
हम छी बहिनी परम दुलारु
भाई हमर अनमोल रे।
महफा कान्ह लगावथि भैया
सासुर बहिनी राज करु
नैहरक मान बचाकय राखब
भाईक पागक लाज राखू
मिठगर वात विचार राखब आ
मिठगर बाजब बोल रे
हम छी बहिनी परम दुलारु
भाई हमर अनमोल रे।
राखी नौत पठाबी भैया
बदला एक उपहार दियऽ
माय-बाप के खुश राखब से
फेर सँ हमरा वचन दियऽ
कुल के मान बढायब भैया
जीवन मिश्री घोल रे
हम छी बहिनी परम दुलारु
भाई हमर अनमोल रे।
सबहक बहिनिक मान करब से
भैया आई ई प्रण ठानू
अपन बहिनक मर्यादा सन
सऽब बहिनक मान मानू
हमर भाई छथि श्रेष्ठ ई जग मे
कहब बजाकयऽ ढोल रे
हम छी बहिनी परम दुलारु
भाई हमर अनमोल रे।
~प्रस्तुति~
☆☆अदिति झा☆☆
रक्षा बंधन विशेषांक
♧♧♧♧♧♧♧♧♧♧♧♧♧♧♧
सब भाई बंधु के सादर समर्पित
![]() |
| छबि - Braj Bhushn जी के facebook से |
●●●●●●●●●●●●●●●●●●●●●●●●
सगर विश्व दलमल्लित भय गेल
सगर नगर अनघोल रे
हम छी बहिनी परम दुलारु
भाई हमर अनमोल रे।
बहिनिक आँखिक भाई छै तारा
बहिनिक मान निबाह करय
संकट मे आयल बहीन जौं
संकटमोचन भाई बनय
दुःख मे सुख मे ठाढ रहय जे
भाई स्नेह नहि मोल रे
हम छी बहिनी परम दुलारु
भाई हमर अनमोल रे।
महफा कान्ह लगावथि भैया
सासुर बहिनी राज करु
नैहरक मान बचाकय राखब
भाईक पागक लाज राखू
मिठगर वात विचार राखब आ
मिठगर बाजब बोल रे
हम छी बहिनी परम दुलारु
भाई हमर अनमोल रे।
राखी नौत पठाबी भैया
बदला एक उपहार दियऽ
माय-बाप के खुश राखब से
फेर सँ हमरा वचन दियऽ
कुल के मान बढायब भैया
जीवन मिश्री घोल रे
हम छी बहिनी परम दुलारु
भाई हमर अनमोल रे।
सबहक बहिनिक मान करब से
भैया आई ई प्रण ठानू
अपन बहिनक मर्यादा सन
सऽब बहिनक मान मानू
हमर भाई छथि श्रेष्ठ ई जग मे
कहब बजाकयऽ ढोल रे
हम छी बहिनी परम दुलारु
भाई हमर अनमोल रे।
~प्रस्तुति~
☆☆अदिति झा☆☆

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook