#करू_मन_मिथिला_के_जयकार 👏
✍👤 डॉ. संजीत झा सरस
_______________________________
करू मन मिथिला के जयकार !
चिन्तन नव नव शक्ति सृजन के
हृदय सिनेह अम्बार ,
तन मन तलफत दर्शन को तव
प्रणति पुष्प स्वीकार ,
करू मन मिथिला के जयकार !!१।।
वीरप्रसविनी मातृधरा छी
शास्त्रसमुद्भव दर्शन सार ।
ममतामयी आँचल पसरल अछि
पूतक प्रिय आसार ।
करू मन मिथिला के जयकार !।२।।
भगवति स्वयं जतय निकलल छथि
धरागर्भ स लय अवतार ।
भू योगक मात्रक ई महिमा
फुजहि स्वर्ग वैकुण्ठक द्वार ।
करू मन मिथिला के जयकार !।३।।
याचना रहित अयाची जतय
मण्डन छल शास्त्रक अवतार ।
वाचस्पति सन दिव्य तपस्वी
सुरगुरुसुत के शिक्षाकार ।
गौतम कणाद ओ न्याय शास्त्र केर
नाविक गंगेशक पतवार ।
तपोलीन तप तपथि तपस्वी
तृणवत तृष्णा तृप्त आचार ।
करू मन मिथिला के जयकार।।४।।
जन मन जतय आनन्दित सदिखन
लोभ मोह स रहित विचार ।
आत्मतत्व अवलम्बित जीवन
यद्यपि गार्हस्थ्य कैल स्वीकार ।
मैथिल मन मिथिले टा आँगन
मिथिलाक महिमा अपरम्पार ।
माँ मिथिले ! अहीं छी अन्त: में
सरस प्रणाम करू स्वीकार ।
करू मन मिथिला के जयकार ।।५।।
✍©डॉ. संजीत झा सरस
(०७/०७/२०१७)
✍👤 डॉ. संजीत झा सरस
_______________________________
करू मन मिथिला के जयकार !
चिन्तन नव नव शक्ति सृजन के
हृदय सिनेह अम्बार ,
तन मन तलफत दर्शन को तव
प्रणति पुष्प स्वीकार ,
करू मन मिथिला के जयकार !!१।।
वीरप्रसविनी मातृधरा छी
शास्त्रसमुद्भव दर्शन सार ।
ममतामयी आँचल पसरल अछि
पूतक प्रिय आसार ।
करू मन मिथिला के जयकार !।२।।
भगवति स्वयं जतय निकलल छथि
धरागर्भ स लय अवतार ।
भू योगक मात्रक ई महिमा
फुजहि स्वर्ग वैकुण्ठक द्वार ।
करू मन मिथिला के जयकार !।३।।
याचना रहित अयाची जतय
मण्डन छल शास्त्रक अवतार ।
वाचस्पति सन दिव्य तपस्वी
सुरगुरुसुत के शिक्षाकार ।
गौतम कणाद ओ न्याय शास्त्र केर
नाविक गंगेशक पतवार ।
तपोलीन तप तपथि तपस्वी
तृणवत तृष्णा तृप्त आचार ।
करू मन मिथिला के जयकार।।४।।
जन मन जतय आनन्दित सदिखन
लोभ मोह स रहित विचार ।
आत्मतत्व अवलम्बित जीवन
यद्यपि गार्हस्थ्य कैल स्वीकार ।
मैथिल मन मिथिले टा आँगन
मिथिलाक महिमा अपरम्पार ।
माँ मिथिले ! अहीं छी अन्त: में
सरस प्रणाम करू स्वीकार ।
करू मन मिथिला के जयकार ।।५।।
✍©डॉ. संजीत झा सरस
(०७/०७/२०१७)

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook