हे चलु मायक पूजा करबय......


✍👤प्रवीण नारायण चौधरी

हे चलू मायक पूजा करबय
हे चलू हुनकर चरण केँ धोबय
चलू मायक भजन सब गेबय
चलू मायक मन्दिर चलबय
हे चलू मायक पूजा करबय....

मिता हमहुँ संग मे जेबय
मिता पूजा हमहुँ करबय
चलू मायक चरण केँ धोबय
चलू फूल आ अछत चढेबय
हे चलू मायक पूजा करबय

वैह छथि दूर्गा वैह छथि काली
दुष्ट-दानवके संहारयवाली - २
वैह महालक्ष्मी माँ शेरावाली
भक्तक रक्षा करयवाली-२

हे चलू मायक महिमा गेबय
हे चलू हुनकहि पूजा करबय
चलू मायक भजन सब गेबय
चलू मायक मन्दिर चलबय
हे चलू मायक पूजा करबय...

हे जगजननी जग के माता
पुत्र कुपुत्र क्वचिदपि नै कूमाता-२

अहींक शक्ति अहीं छी दाता
सब दोख दूर करू भाग्य-विधाता-२

हे चलू माय केर शरण मे रहबय
हे चलू सीधे मन्दिर जेबय
चलू माय सँ दया हम पेबय
चलू हुनकहि माया लेबय
हे चलू मायक पूजा करबय...

हरिः हरः!!

✍👤प्रविण नारायण चौधरी

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
Apanmithilaa.com © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top