धनुषा जिल्ला १८ में १६ तहकेँ परिणाम सार्वजनिक भेल 

 
मिथिला बिहारी नगरपालिका सँ जीतल अनिल यादब जी


अशोक कुमार सहनी ,अपन मिथिला /धनुषा, आशिन ७ गते– धनुषाके १८ टा स्थानीय तहमें अखुन तक १६ टा तहके परिणाम सार्वजनिक भचुकल अछि  । सब सँ बेशी नेपाली कांग्रेस धनुषाके ७ तहमें विजय भेल अछि। नेकपा एमाले ४, संघीय समाजवादी फोरम २, माओवादी केन्द्र २ आ राजपा नेपाल १ तहमें विजयी हासिल केने अछि। 

बाँकी भोट गिणती जारी रहल २ स्थानीय तहमें जनकपुर उपमहानगरपालिकामें राजपा नेपालके जित निश्चित जेहेन अछि आ सबैला नगरपालिकामें माओवादी केन्द्रके आगु रहल अछि ।  
जनकपुर ८:४५ बजे अपडेट:- 
राजपा १४३२२/१०८७४
काँग्रेस ५७३१/५३२०
एमाले २०२२/२०९१


कांग्रेस जितल स्थानीय तह :
१. क्षिरेश्वरनाथ नगरपालिका, 
२. नगराईन नगरपालिका, 
३. कमलामाई नगरपालिका, 
४. धनुषाधाम नगरपालिका, 
५. जनकनन्दनी गाउँपालिका, 
६. धनौजी गाउँपालिका आ 
७. औरही गाउँपालिका

एमाले जितल स्थानीय तह : 
१. मिथिला नगरपालिका, 
२. मिथिलाबिहारी नगरपालिका, 
३. बटेश्वर गाउँपालिका आ
४. मुखियापट्टी मुसहरनिया गाउँपालिका

माओवादी केन्द्रले जितल स्थानीय तह : 
१.सहिद नगरपालिका आ
२. विदेह नगरपालिका

संघीय समाजवादी फोरम जितल स्थानीय तह :
१. गणेशमान चारनाथ नगरपालिका आ
२. लक्ष्मीनिया गाउँपालिका

राजपा नेपाल जितल स्थानीय तह :  
१.हंशपुर नगरपालिका

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
Apanmithilaa.com © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top