धूम मचा रहल अछि पूनम मिश्राक इ गीत, मात्र 211 दिनमे सुनि चुकल छथि 1 मिलियन सँ बेसि लोक
अपन मिथिला ,भादौ,१८ / के कहैत अछि मैथिली गीत आब सुनबे के करैत अछि? जे ऐना बजै छथि हुनका लोकनि केँ एना देखएबाक लेल इ खबरि बेसिए अछि। यदि गीतक रचना आ स्वर संग संगीतक सुन्नर सहयोग रहल त ओहि गीत केँ सुननिहार श्रोताक कमी नहि होएत अछि। जी हाँ, हम बात क’ रहल ओहि गीतक बारे मे, जे कोनो मैथिलानी गायिकाक द्वारा गाओल गीत हुनक अप्पन निजी यूट्यूब चैनल पर महज 211 दिन मे 1 मिलियन सँ बेसि लोक सुनि आ देखि चुकल अछि। एहन करामात केयो आन नहि अप्पन मिथिलाक बेटी आ सुप्रसिद्ध गायिका पूनम मिश्राक कएलीह अछि। गीतकार शिवकुमार झा “टिल्लु” जीक द्वारा पूर्वी धुन पर लिखल गीत केँ अपन सुमधुर स्वर सँ पूनम धमाल मचा क’ राखि देलीह एहि। गीतक बोल अछि “जहिये सँ गेलखिन सजना, नींद उड़ि गेलय “.
अपने लोकनि एहि गीत केँ पूनम केर एहि लिंकhttps://www.youtube.com/watch?v=8uE6owkfzfs पर क्लिक क’ सुनि सकैय छी।
यूट्यूब पर youtube
!!POONAM MISHRA LIVE!! “जहिये सऽ गेलखिन सजना निन्न उड़ि गेलै” एहि नाम सँ सीधे सर्च कए सेहो गीत सुनि सकै छी। आशा अछि पूनम केर इ गीत जल्दिए मैथिली गीतक रूपमे वर्ल्ड वाइड रिकॉर्ड बनएबा में कामयाब हेतनि।
साभार - न्यूज डेस्क, मिथिला दर्शन.न्यूज

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook