संविधान संशोधन फेल, बहुमत नै पुगल
अपन मिथिला/ , भदौ ५ – संविधान संशोधन प्रस्ताव संसदमें फेल भेल अछि । सोमदिन भेल चुनाव में पक्षमें ३ सौ ४७ विपक्षमें २ सौ ६ भोट एल छेल ।
संविधान संशोधनके पक्षमें दुई तिहाई बहुमत नै पगला से संविधान संशोधनके प्रयास असफल भेल अछि। सोमदिन संसदमें ५ सौ ५३ सांसद उपस्थित छेल । दुई तिहाई संख्याके लेल ४८ सांसद नै पूगल अछि । संशोधन विधेयक ऊपर दफावार छलफल बादः चुनाब के प्रक्रिया में गेल छेल। प्रस्ताव पारित हुवा के लेल संसदमें रहल ५ सौ ९२ सांसदके दु तिहाई अर्थात ३ सौ ९५ सांसदके समर्थन आवश्यक छेल।
संविधान संशोधनके माग करैत आरहल राष्ट्रिय जनता पार्टी प्रस्ताव पास आ फेल जे हेत संसदीय प्रक्रियामें एल नतिजा स्वीकार करै के सहमति कचुकल अछि । भदौ ६ गते मंगलदिन १ बजे संसदके दोषर बैठक रखने अछि ।

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook