मिथिला वर्णन ( नवगीत )
✍👤शिव कुमार झा टिल्लू
**********************************
सीता सन बेटी हमराघर मायक ह'म पुजारी छी
अभ्यागत'केँ हिय'सँ स्वागत बरू हम दीन'भिखारी छी !
सरस्वती'सँ ज्ञान मँगै छी रखबै विद्या - मान औ
याचन बेरि'मे रूप अयाची उदयन सन संतान औ
कमला कातमे दीप जड़ा'क' गंगा - कोर निहारै छी
हे कोकिल पुनि मिथिला अबियौ जल'सँ सगुन उचारै छी
सदाचार सिखलहुँ विदेह'सँ संजोगल आचारी छी

पाहुन रघुवर मिथिघर एलथि परसल पायस मखान औ
छप्पन भोग'सँ स्वागत करियौन फेर खुअबियौन पान औ
खोईंछ भरै छथि माय भारती सिया आँखि'मे नोर हे
ओ बिसरल दिन कहिया घुरतै मिथिला हेरथि इजोर हे
उपहासे'टा भेंटल तंत्र'सँ की एकरे अधिकारी छी

हे सलहेस अहाँ पुनि अबियौ देखू सूतल यौवन औ
मायक उर नहि बसथि मैथिली कोना सीखत नव नौतन औ
अपने'मे लड़ि-लड़ि क' हम सभ थाकल एक विजेता छी
दोसर लग नहि बोल फुरै अछि अपने घर अधिवेत्ता छी
एक्को सूप'ने देत मुदा अजबारने पैघ बखारी छी

✍👤 शिव कुमार झा "टिल्लू"

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook