बाढ़ि गेल क्षेत्रके संकटग्रस्त क्षेत्र घोषणा करैके माग करैत सर्वोच्चमें रिट
अपन मिथिला, साउन ३२ गते। सर्वोच्च अदालतममें भारी वर्षाके कारण बाढ़ि, धसान आ डुबानके गण नै सकैवाल क्षति भेल तत्काललेल बाढ़ि धसान गेल क्षेत्रके संकटग्रस्त क्षेत्र घोषणा करैके माग करैत सर्वोच्चमें रिट निवेदन दायर भेल अछि ।
अधिवक्ता सुनिलरन्जन सिंह प्रधानमन्त्री आ मन्त्रिपरिषद्के कार्यालय, गृह मन्त्रालय, केन्द्रीय दैवी प्रकोप उद्धार समितिलगायतसभ के विपक्षी बनके काल्हि साउन ३१गेत दायर केने रिट निवेदनमें बाढ़ि धसान आ डुबान क्षेत्रके संकटग्रस्त क्षेत्र घोषणा कके प्रभावित क्षेत्रमें युद्धस्तरमें राहत आ बचाउके काज करै के माग केने अछि।
रिट निवेदनमें बाढ़ि धसानमें जनधन नुकसान भेल परिवारके आवश्यक गास, बास आ कपास, दवाईउपचार, स्वास्थ्य पबैवालपानीके व्यवस्था मिलाब आदेशके माग केने अछि ।
नेपालके पानि इण्डिया निकासमें भारतसँग ठोस पहल कके आवश्यक समाधानके लेल परमादेशके आदेश जारी करै के माग सेहो केने अछि ।

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook