सोरह कला प्रवीण प्रखर कुटनीतिज्ञ/ लीलाधर श्री कृष्णकेँ जन्म दिनक हार्दिक शुभकामना --
✍👤मैथिल प्रशान्त
हे नटवर गीरीधर गीरीधारी ।
केशव माधव कृष्ण मुरारी ।।
बाट जोहैथ राधा आठो याम यौ ।
घूरि आउ कान्हा गोकुल धाम यौ ।
सुन जमुना तट, उदास छै गैया ।
बाट जोहै छथि, यशोदा मैया ।।
वृंदावनकेँ कण-कण जपय नाम यौ ।
घूरि आउ कान्हा ----
मन मोहन मोहल मोन अहाँ कोना ।
वंशीक तान मोहक मुस्कीमे टोना ।।
गोपी बिकायल नेने बिनु दाम यौ ।
घूरि आउ कान्हा ---
~> मैथिल प्रशान्त
दुर्गौली, बेनीपट्टी ।
✍👤मैथिल प्रशान्त
हे नटवर गीरीधर गीरीधारी ।
केशव माधव कृष्ण मुरारी ।।
बाट जोहैथ राधा आठो याम यौ ।
घूरि आउ कान्हा गोकुल धाम यौ ।
सुन जमुना तट, उदास छै गैया ।
बाट जोहै छथि, यशोदा मैया ।।
वृंदावनकेँ कण-कण जपय नाम यौ ।
घूरि आउ कान्हा ----
मन मोहन मोहल मोन अहाँ कोना ।
वंशीक तान मोहक मुस्कीमे टोना ।।
गोपी बिकायल नेने बिनु दाम यौ ।
घूरि आउ कान्हा ---
~> मैथिल प्रशान्त
दुर्गौली, बेनीपट्टी ।

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook