#हेल्लो_सरकार
✍👤रामअधिन सम्भव
महामहीम सरकारसँ एक्टा सवाल अछि हमर
हम जिवित छी इ अहाँक या कमाल अछि हमर
"कर" दै छी अहाँके, हमर जनधन सुरक्षाक लेल
आबु बचाउ, बाढिमे डुबैत बालगोपाल अछि हमर
सगर दुनियाँ ताकैत अछि अँहीके कत' छी अहाँ
आबिक' बुझबो तऽ करु कि हालचाल अछि हमर
बड अजगुत लगैय अहाँक इ बौका रुप देख कऽ
अहाँ सभ लेल एहने छी कि भरमजाल अछि हमर
हे! भोलेनाथ आब अहुँ त बकसु कनिको त दया करु
अँही त पालनहार छी, अँहीसँ तऽ तृकाल अछि हमर
#रामअधिन_सम्भव
2017/08/13

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook