भारी वर्षा स' मधुबनीक हाल - बेहाल, लोकक घर मे घुसल पानि
अपन मिथिला/साउन ,२८ / लगातार भ' रहल भारी वर्षा स' मधुबनी शहरक हाल - बेहाल भ' अछि. वर्षाक पानि लोकक घर मे घुसि गेलाक ओजह स' लोक नारकीय जीवन जीबा लेल विवश छथि. मधुबनी स' एक रिपोट
दू दिन स' भ' रहल भारी वर्षाक ओजह स' मधुबनी शहरक स्थिति विकट भ' गेल अछि. वर्षा आ नालीक पानि लोकक घर मे घुसि गेल छल. लोक अपन घर मे भरि - भरि ठेहुन पानि मे जीवन व्यतीत करबा लेल विवश छथि. मधुबनीक गौशाला चौक, बीएन झा कॉलोनी, आदर्श नगर आदि मोहल्ला मे जल भराव स' लोक सभ त्रस्त छथि. लगभग एक मास पहिने सेहो भारी वर्षा स' लोकक घर - द्वार मे वर्षा आ नालीक पानि घुसि गेल छल. एक मास बाद फेर स' लोकक घर मे पानि घुसि गेला स' लोक सभ मे रोष अछि. स्थानीय लोक सभ जनौलनि जे जल निकासीक समुचित व्यवस्था नहि हेबाक ओजह स' लोक सभ कें बेर - बेर एकहि रंगक परेशानीक सामना कर' पड़ै छनि. स्थानीय लोक सभ जिला प्रशासन स' जल निकासीक समुचित व्यवस्था करबाक मांग केलनि अछि.
एमहर पटना मौसम विभाग स' भेटल जानकारीक अनुसार मौसम अखन लोक सभ कें कोनो राहति देबाक मूड मे नहि अछि. अखन आर चौबीस घंटा विकराल भ' सकैत अछि. पटना मौसम विभाग चौबीस घंटा आउर भारी वर्षाक आशंका जतौलक अछि.
साभार - मिथिला मेल डेस्क

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook