सप्तरीमें बार सैय घर डुबानमें, चार सैय परिवार घर से बाहर
अपन मिथिला / राजविराज, २८ साउन । बीतल चाइर दिन से भरहल बहुत जोरक वर्षाके कारण सप्तरी जिल्लाके बहुत नगरपालिका आ गाउँपालिकासभमें एल बाइढ़केँ कारण एक हजार दुई सय घर डुबानमें परल अछि आ चार सय परिवार घर सs बाहर भेल अछि ।
जिल्लाके खाँडो, जिता, बिहुल, त्रियुगालगा नदीसभमें एल बाइढके कारण घरसभ डुबानमें परल अछि । जिल्ला प्रहरी कार्यालय सप्तरी देने जानकारी अनुसार तिलाठी कोइलाडी गाउँपालिकाके वडा नम्वर–५ कुशहा आ बनरझुलाके वस्तीमें जिता नदीके बाइढ घुसैके कारण ३ सय ५० परिवार घर छोड़के सडक आ सुरक्षित ठाम में बैठल अछि।
कोशी नदीके पाइन घुसके हनुमाननगर योगिनीमाई नगरपालिकाके वडा नम्वर ७ आ १४ मल्हनियाँ टोलके ३ सय १० घर डुबानमें परल अछि और ५० परिवार घर छोड़ने अछि ।
तिलाठी कोइलाडी, सकरपुरा आ बेल्हीके करिब ४ सय घरमें पाईन घुशल जिल्ला प्रहरी कार्यालय सप्तरी बतौने अछि ।
साथ मे राजविराज नगरपालिकाके वडा नम्वर–१०, विरौल गाउँ नजिक बाइढ बाँध काटलासे डुमरी, शिबथान, देउरीभरुवा, पकरी ई सभ बाइढके बहुत खतरामें परल अछि ।
राजविराजल मुख्य बजार क्षेत्रमें सेहो ३ फिटतक पाइन जमल अछि ।
सप्तकोशी नदीमें पाइन स्तर बइढरहल अछि आ ब्यारेजके ३१ टा गेट खोलने अछि ।
टापुमें रहल गोबरगाढा बस्तीमें पाइन घुशल अछि स्थानीयवासिसभ सुरक्षित गन्तव्यतरफ गेल अछि । भरहल वर्षाआ बाइढके कारण सप्तरी जिल्लाके जनजीवन कष्टकर बनल अछि । बाढीको प्रवाह नै रुकल तब बाढीपीडितसभ थप समस्या हेत।
फोटो - श्यामसुन्दर यादव /राजबिराज

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook