जुट्टी/चोटी
✍👤मैथिल प्रशान्त
खबरि सगर गरमएल छै ।
बेटी-दाटी डेरएल छै ।।
सह-सह सोहरल अफवाहक छै चुट्टी गे ।
बान्हिक' रखिहेँ काटि ने लौ कहुँ जुट्टी गे ।।
फोन भले स्मार्ट भेलै लोक त' ठामक ठामे छै ।
टी वीक बलसँ उजाहि उठल गामक गामे छै ।।
झाँपल सच उघार हेतै खुजतै जखने मुट्ठी गे ।
हरहोर मचै हरकंप उठै पियाउज रोटी बुढियासँ ।
बन्न झोरीमे करै नेना सभ डरै ठीक दुपहरियासँ ।।
आउ आतंककेँ आतंकित करी काटी बुट्टी गे ।
अजब हाल अछि गणपतियोकेँ दूध पिया दी ।
हम त' ओ छी लोककेँ महुआमे सटा दी ।।
टोना-टापरसँ नहि जानि भेटत कहिया छुट्टी गे ।
~> मैथिल प्रशान्त
दुर्गौली, बेनीपट्टी ।

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook